Maithili Sahitya Sansthan

Maithili Sahitya Sansthan Maithili Sahitya Sansthan is an Orgnisation dedicated to the cause of upliftment of Maithili Languag

चर्यापद मैथिली भाषाक आद्य काव्य थिक एहि विषय पर शोधालेख मिथिला - भारतीक बारहम भागमे प्रकाशित होमय जा रहल अछि। वरिष्ठ इति...
17/11/2025

चर्यापद मैथिली भाषाक आद्य काव्य थिक एहि विषय पर शोधालेख मिथिला - भारतीक बारहम भागमे प्रकाशित होमय जा रहल अछि। वरिष्ठ इतिहासकार एवं मिथिला- भारतीक संपादक- मंडलक वरिष्ठ सदस्य डा अवनीन्द्र कुमार झा Avanindra Kumar Jha पछिला डेढ सालसं एहि विषय पर अनुसंधान कय रहल छथि। 7 जनवरी 2025 क' मैथिली दिवसक अवसर पर हुनकर विद्वत् भाषण सेहो प्रस्तुत भेल छल।हुनका प्रति सादर आभार।
संपादक- मंडलक दोसर वरिष्ठ सदस्य कहलनि जे ई शोधालेख पढत के? मैथिलीक विद्वानलोकनिकें एहि विषयसं कोन काज?ओलोकनि तं ओहिना विद्वान होइत छथि। मुदा बंगालीक विद्वानसभ पढि सकैत छथि।
ओना मिथिला- भारती शोध पत्रिकाक बेसी मांग बंगालहिसं होइत रहल अछि। हुनकालोकनिक भाषा ओ सांस्कृतिक धरोहरिक प्रति सिनेह अनुकरणीय अछि।
Bhairab Lal Das
Pankaj Kumar Jha

29/09/2025

मैथिली भाषाक प्राचीन इतिहास ओ चर्यापद।
पछिला एक बर्ख स' एहि विषय पर अनुसंधान लेल मैथिलीक विद्वानलोकनिक सहयोगक प्रतीक्षामे छी मुदा मिथिलाक महान विद्वानसभक कृपादृष्टि एखन धरि नहि प्राप्त भेल।
वरिष्ठ इतिहासकार डा अवनीन्द्र कुमार झा एकमात्र शोधार्थी छथि जे एहि विषय पर काज क' रहल छथि।
जखनकि बंगाली, असमिया ओ उड़िया विद्वानसभ मैथिलीक चर्यापद पर अपन अपन अधिकार कए शास्त्रीय भाषाक सम्मान प्राप्त क' लेलक आ हमसभ अपनहिमे षड्यंत्र ओ प्रपंचमे मग्न रहलहुं।
एतबे नहि मिथ्या दलीलक आधार पर कतोक भाषाक दस्तावेजके मान्यता देल गेलैक।
अशोकक शिलालेख पर सेहो दाबी कयल गेल तकरा मान्यता सेहो देल गेल।
निर्णायक मंडलमे जखन अयोग्यसभक प्रभुत्व रहतैक तखन परिणाम त' एहने हेतैक।
जय मैथिली।
Avanindra Kumar Jha
Bhairab Lal Das

मैथिली साहित्य संस्थानक अध्यक्ष आदरणीय प्रोफेसर डा इन्द्रकान्त झा महोदयकें एहि साल बिहार सरकार द्वारा ग्रियर्सन सम्मानसं...
13/09/2025

मैथिली साहित्य संस्थानक अध्यक्ष आदरणीय प्रोफेसर डा इन्द्रकान्त झा महोदयकें एहि साल बिहार सरकार द्वारा ग्रियर्सन सम्मानसं सम्मानित कयल गेल अछि । ताहि उपलक्ष्यमे संस्थान द्वारा हुनका आइ बुद्ध स्मृति पार्क संग्रहालय, पटनाक सभागारमे मिथिलाक परंपरागत सम्मान पाग दोपटा ओ स्मृति चिन्ह प्रदान कय सम्मानित कयल गेल। पटना विश्वविद्यालयक प्राचीन भारतीय इतिहास एवं पुरातत्व विभागक पूर्व विभागाध्यक्ष एवं मैथिली साहित्य संस्थानक संपादक मंडलक वरिष्ठ सदस्य आदरणीय प्रोफेसर डा जयदेव मिश्र महोदय द्वारा सम्मानित कयल गेल। एहि अवसर पर संग्रहालय बिहारक पूर्व निदेशक डा उमेश चन्द्र द्विवेदी, पासपोर्ट विभागक क्षेत्रीय निदेशक श्री मती स्वधा रिजवी , मैथिली साहित्य संस्थानक पदाधिकारीगण सहित कतोक गणमान्य व्यक्ति उपस्थित रहथि।

05/09/2025

Classical Language बनाम मानकीकरण
मैथिलीक विरुद्ध घृणित षड्यंत्र
शास्त्रीय भाषाक विषयकें गौण करबाक लेल दोसर दोसर विषयमे ओझरेबाक कुत्सित प्रयास।
मैथिलीक महान विद्वानसभक मगजमे ई विषय कहियो नहि अयलनि जे मैथिलीकें सेहो शास्त्रीय भाषाक प्रतिष्ठा भेटबाक चाही तैं एखनधरि विरोधमे विभिन्न प्रकारक बाधा उत्पन्न करबाक चेष्टा करैत छथि।
मैथिलीसं कनीय भाषासभकें शास्त्रीय भाषाक सूचीमे अधिसूचित कएल गेल
ताहि समय सरकारक स्वयंभू प्रवक्ताक मिथ्या दलील छल जे राज्य सरकारक अनुशंसा नहि छल तैं नहि भेल।
मुदा बिहार सरकारक अनुशंसा प्रायः एक साल पूर्वहि भेल तथापि नव नव टाटक ठाढ कयल जा रहल छैक।
मैथिलीक शत्रुकें चिन्हू।
Bhairab Lal Das

15/08/2025
स्वतंत्रता दिवस की हार्दिक शुभकामनाएं।     जय हिन्द सीताराम उपाध्याय संग्रहालय,बक्सर।
15/08/2025

स्वतंत्रता दिवस की हार्दिक शुभकामनाएं।
जय हिन्द
सीताराम उपाध्याय संग्रहालय,बक्सर।

मैथिली साहित्य संस्थान पटना द्वारा आयोजित आराधनाक काव्य संध्या।    विद्यापति भवनक सभागारमे आयोजित कार्यक्रममे सुप्रसिद्ध...
06/07/2025

मैथिली साहित्य संस्थान पटना द्वारा आयोजित आराधनाक काव्य संध्या।
विद्यापति भवनक सभागारमे आयोजित कार्यक्रममे सुप्रसिद्ध कवियत्री आराधना झा श्रीवास्तव ओ सुप्रसिद्ध लोक गायिका डा रंजना झाक मनोरम प्रस्तुति । दूनूके धन्यवाद।
Bhairab Lal Das
Rachana Priyadarshini
Alka Das

हकार
04/07/2025

हकार

21/02/2025

अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसक हार्दिक शुभकामना।

कर्णाटवंशी राजा हरसिंहदेवक पूजा लोकदेवताक रुपमे।   ---------- प्रोफेसर डा नरेंद्र नारायण सिंह निराला       मिथिला भारती ...
18/02/2025

कर्णाटवंशी राजा हरसिंहदेवक पूजा लोकदेवताक रुपमे।
---------- प्रोफेसर डा नरेंद्र नारायण सिंह निराला
मिथिला भारती भाग 11,2024मे प्रकाशित।

मिथिलाक प्राचीन मूर्ति शिल्प पर आधारित     डा शिव कुमार मिश्रक शोध आलेख      मिथिला भारती भाग 11,2024मे प्रकाशित।एहिमेसि...
15/02/2025

मिथिलाक प्राचीन मूर्ति शिल्प पर आधारित
डा शिव कुमार मिश्रक शोध आलेख
मिथिला भारती भाग 11,2024मे प्रकाशित।
एहिमे
सिमरौनगढ , नेपाल
बरसाम , मधुबनी
सुस्ताडीह, मुजफ्फरपुर
कल्याणेश्वर मंदिर , मधुबनी
गिरिजा स्थान, मधुबनी
अकौर , मधुबनी
देपुरा, मधुबनी
जरैल, मधुबनी एवं
नवगछिया, भागलपुरमे
भेटल विभिन्न देवी देवताक मूर्ति शिल्प पर नवीनतम अध्ययन छैक।

Address

Patna

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Maithili Sahitya Sansthan posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The School

Send a message to Maithili Sahitya Sansthan:

Shortcuts

Share

Category